Saptla

Saptla

Author:

Ramdeo Singh

Language:

Maithili

Category:

Short-story-collections

0 Reviews

Price: ₹ 348.5

425

Available

Format:

Quantity

-

1

+
About
Book Details

सप्तला' मे मैथिलीक स्थापित आ समर्थ कथाकार लोकनि संकलित भेल छथि। संग्रह मे अनेक रूप, रंग आ स्वाद वला कथा अछि। कथा सभ समकालीन यथार्थक विभिन्न परिप्रेक्ष्य उपस्थित करैत अछि। वर्तमान मानवीय संकट केँ उत्कृष्ट कलात्मकता प्रदान कर'वला ई कथा सभ अपन विकासक ग्राफ सेहो प्रस्तुत करैत अछि। संग्रहक कथा सभ मानवतावादी दृष्टिक माला मे गाँथल नयनाभिराम फूल अछि। —सुभाष चंद्र यादव 'सप्तला' मे 'अंतिका' पत्रिकाक विभिन्न अंक मे, प्राय: दू दशकक कालखंड मे, छपल कथा सभ संकलित अछि। अपन विविधता मे आ संगहि अपन एकनिष्ठता मे मैथिली कथाक एहि कालखंडक रचना सभ केँ ई संकलन अपन पूर्ण ऐश्वर्य संग परसैत अछि। अपन कथ्यरूप मे विविधता नेने ई संग्रह, मैथिल लोकक, ओकर चिन्ताक आ ओकर जीवन-संघर्षक बानगी निधोख रूपें आ करुणाक संग प्रस्तुत करबा मे एकनिष्ठताक बानगी स्थापित करैत अछि। एक सँ एक कथा, एक सँ एक स्मरणीय आ हमरा सभक चेतना मे सर्वदा चेन्ह छोड़'वला पात्र सब। एतबा सीमित संख्या मे सेहो एहि संकलन मे कह'क ढंग मे अपार विविधता छै। लघु आकारक मुदा मार्मिक कथा सब जेना 'गुदरिया' जकर मौन हमरा सभक मन मे अनंत अर्थ गुंजायित करैत अछि। दीर्घ विवरण सँ भरल कथा सब जेना 'पइठ' जत' बखान अपने पाठकक पुरस्कार बनि जाइत अछि। पाठक सभ बेर-बेर एहि संग्रह मे डुमकी लगब' लेल विवश हेताह आ बेर-बेर अपन प्रयास लेल नीक गोताखोर सब जकाँ पुरस्कृत हेताह। —विद्यानंद झा

ISBN: 9789388799867

Pages: 188

Avg Reading Time: 6 hrs

Age : 18+

Country of Origin: India

Customer Reviews

0 out of 5

Book

Hurry! Limited-Time Coupon Code

WORDPOWER
* Terms and Conditions applied.

Offers

Best Deal

Lorem ipsum dolor sit amet, consectetur adipiscing elit, sed do eiusmod tempor incididunt ut labore et dolore magna aliqua

Lorem ipsum dolor sit amet, consectetur adipiscing elit, sed do eiusmod tempor incididunt ut labore et dolore magna aliqua. Ut enim ad minim veniam, quis nostrud exercitation ullamco laboris nisi ut aliquip ex ea commodo consequat.

whatsapp